logo

मैथिली मास्टर बहाल प्राथमिक विद्यालय में

मैथिलीक प्राथमिक शिक्षा में सामिल होई सं लाखों युवाक नबका नबका रोजगारक लाभ भेटत। चहौमुखी रोजगारक रास्ता खुलत । जेनाकि 

१.मैथिली मास्टरक रुप में ।
२. जेखन मैथिलीक पढ़ाई शुरू हेयत त सभ वर्गक किताब छापल जायत जाहि में मैथिली कवि सऽ लऽ केर मैथिली कहानीकारक सेहो रोजगार भेटत ओतबे नय प्रिंटिंग प्रेस में सेहो रोजगार भेटत ।
३.किसान ग्राहक सेवा केंद्र में सेहो रोजगार भेटत
४. प्रखंड सऽ लऽ केर जिला मुख्यालय में सेहो अनुवादक केर रुप में रोजगार भेटत
५. न्यायालय में अनुवादक केर रुप में रोजगार भेटत
६. लोह्पथ गामिनी विराम बिन्दु ( रेलवे स्टेशन ) पर वाचक ( घोषणाकर्ता ) केर रुप में रोजगार भेटत।
७. बिहार विधानसभा सऽ लऽ केर बिहार विद्यालय परीक्षा समिति में सेहो मैथिली भाषा के उपर रोजगार भेटत ।
८. उच्च न्यायालय सं लऽ केर मुख्यालय में सेहो रोजगार भेटत 
अर्थात मैथिली भाषा सं अनेका अनेक रोजगार सृजन हेयत ।
अर्थात जेना मिठक जैड़ कुसियार तहिना मिथिलाक विकासक जैड़ #मैथिली_मास्टर_बहाल_प्राथमिक_शिक्षा_में 
हमर एगो भाषा छल मैथिली जे आब कतओ हेरा गेल. आब ओकर जगह बिलेतिया भाषा ल रहल अय . ओकरा म आब शहर केर समावेश भ गेल. जेना सौन्झका कंसार केर जगह ओ आब समोसा परसल लागल. घर में गोबरक सोन्धक ठंढक के बदला में सीमेंटक ताप भैर गेल. न त ओकरा में आब सामाजिकता बाचल छैक आ नहियें प्रेम भाव. आप-आप केर लड़ाई में सब नाते रिश्तेदारी बिसैर गेल. मेल जोल केर मैथिल संस्कृति छोइड सब अप्पन अप्पन कोठी भड्बा में लागल य. जे समाज हर काज के योग्य बुझी एक दोसर केर मदद में तत्पर छल से आब एक दोसर केर बर्बादी केर मजाक उडाबई के इंतजार में रहैय्य. समाज में दोसर केर भलाई सोच बला केर न केवल मुर्ख कहल जाय छैक मुदा ओकरा पर दोषारोपण सेहो होईत छैक. कैल्हक जनमल धिया पुता सब सेहो एकरा मैट-पैन में खेलेनाई बिसैर फ़ोन में लागल रहैय्या. - 
तहिना एकटा कोन में छुपल हमर मातृभाषा मैथिली कोनो बोन झार में हेरा रहल अय ।
#मिथिला_विकास_संगठन चिचिया - चिचिया केर छाती पिट केर अप्पन मातृभाषा मैथिली केर अधिकार दिलाबऽ में लागल अय जउ मैथिल छी त मैथिली बाजु आऔर अप्पन अधिकार छिनु आऔर मैथिली मास्टर ब्लास्टर में सहयोग करु 🙏
मिटा रहल अइछ निज अपन भाषा एकरा आब बचाबु नैय !
जाइत पैत स ऊपर उठिकै सब मैथिल आगा आबु नैय 
मिथिला के हर एक स्कुल में मैथिली भाषा पढाबू नैय !!
जोउ कहबै छी मिथिला मैथिल अपन भाषा बाजु नैय 
मिथिला के हर एक स्कुल में मैथिली मास्टर लाबू नैय !!
हेयउ किया रुसल छी किया सुतल छी सब मिल आगा आबू नैय !
लियौ प्रण हर एक मैथिल लड़ैत रहब हर एक मैथिल जइधर नैय
सुनतै सरकार मैथिली मास्टर करू बहाल करू बहाल !!
#मैथिली_नैय_त_वोट_नैय
जय मैथिली

126
14752 views
  
1 shares